गोरखपुर म' 30 बच्चा केर मौत पर गरमायल सियासत, यूपी सरकार ऑक्सीजन केर कमी सँ केलनि इंकार

गोरखपुर। 12 अगस्त। [जितमोहन झा (जीतु)] गोरखपुर के सरकारी अस्पताल 'बाबा राघवदास मेडिकल कॉलेज' म' ऑक्सीजन केर कमी सँ भेल 30 बच्चा केर मौत पर आब राजनीति शुरू भ' गेल अछि। अपने क' बता दी 'बाबा राघवदास मेडिकल कॉलेज' म' 13 बच्चा एनएनयू वार्ड आओर 17 बच्चा इंसेफेलाइटिस वार्ड म' भर्ती छल। बताओल जे रहल अछि कि 69 लाख टाकाक भुगतान नहि होयबाक कारण सँ ऑक्सीजन सप्लाई करे बला फॉर्म ऑक्सीजन केर सप्लाई पछिला गुरुदिन सँ रोकी देना छल। प्राप्त सूचनाक मुताबिक पछिला 5 दिन म' 60 बच्चा केर मौत भ' चुकल अछि।
एहि मौतक पाछा उत्तर प्रदेश सरकार के ट्विटर हैंडल सँ काएल गेल ट्वीट म' अस्पताल म' ऑक्सीजन के कमीक कारण मरीज़ सभक मौत क' भ्रामक बताओल गेल। उत्तर प्रदेश सरकार के ट्विटर हैंडल के ट्वीट म' कहल गेल अछि कि गोरखपुर के बीआरडी मेडिकल कॉलेज म' ऑक्सीजन केर कमी सँ कुनू बच्चा केर मौत नहि भेल अछि।
अपने क' बता दी उत्तर प्रदेश के मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ केर गृह जिला गोरखपुर के बीआरडी मेडिकल कॉलेज म' ऑक्सीजन केर कमी सँ 30 बच्चा केर मौत भेल अछि। बताओल जे रहल अछि कि वॉर्ड म' ऑक्सीजन सप्लाई ठप भेला सँ 30 मासूम केर मौत भेल अछि। एहि मामला पर राजनीतिक हलचल शुरू भ' गेल अछि। नेता गण एक दोसर पर आरोप-प्रत्यारोप लगायब शुरू क' देना छथि।

गोरखपुर के एहि मेडिकल कॉलेज म' ऑक्सीजन सप्लाई ठप भेला सँ 2 दिन म' 30 बच्चा केर मौतक बाद आब सबकियो लीपापोती करे म' लागल छथि। अस्पताल ऑक्सीजन केर कमी सँ इनकार क' रहल अछि। उत्तर प्रदेश सरकार के मेडिकल शिक्षा मंत्री कहलनि कि 24 घंटा म' जांच पूरा करि सच्चाई सभक समक्ष आनल जाएत।
एतेक बड़का घटना घटल आओर उत्तर प्रदेश सरकार व अस्पताल प्रशासन ऑक्सीजन केर कमी सँ इंकार क' रहल अच्छी। जखन की असलियत ई अछि जे 69 लाख टाकाक भुगतान नहि होयबाक कारण सँ  ऑक्सीजन सप्लाई करे बला फर्म गुरुदिन सँ ऑक्सीजन केर सप्लाई बंद क' देना छल। लिक्विड ऑक्सीजन गुरुदिन सँ बंद छल आओर सिलेंडर सेहो खत्म भ' गेल छल। बताओल जे रहल अछि इंसेफेलाइटिस वार्ड म' मरीज सभ दू घंटा धरी अम्बू बैग केर सहारा लेलनि।   

मेडिकल कॉलेज म' ऑक्सीजन सप्लाई करे बला कंपनी केर नाम पुष्पा एंड संस बताओल जे रहल अछि। कैको रिपोर्टसक मुताबिक मेडिकल कॉलेज म' सेंट्रल पाइप लाइन सँ लिक्विड ऑक्सीजन केँ सप्लाई काएल जाएत अछि मुदा गुरुदिन सँ ऑक्सीजन केर सप्लाई रोईक देल गेल छल।  ऐता साफ अछि कि सप्लाई रुकबाक बात पहिने सँ पता होएबाक बावजूद ऑक्सीजन सप्लाई के लेल कुनू इंतजाम नहि काएल गेल। एहि ऑक्सीजन सप्लाई के कैको बेर रुकला सँ 30 मासूम क' अप्पन जान सँ हाथ धुवे पड़ल।
दुःखक गप तेँ ई अछि कि गोरखपुर के जाहि बाबा राघवदास मेडिकल कॉलेज म' ई घटना घटल ओहिक दौरा 9 अगस्त क' मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ केना रहथिन। अस्पताल म' ऑक्सीजन केँ सप्लाई बंद छल ऐहिक खबैर हुनका नहि?

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ