गांधी के सिद्धांतक लेल हमर लड़ाई : मीरा कुमार

अहमदाबाद। 01 जुलाई। राष्ट्रपति पद लेल विपक्ष के उम्मीदवार मीरा कुमार महात्मा गांधी के साबरमती आश्रम सँ चुनाव अभियान केर शुरुआत करैत कहलनि कि हुनक लड़ाई राष्ट्रपिता महात्मा गांधी के  विचारधारा क' आगू ल' जेबाक लेल अछि। मीरा कुमार आश्रम म' लगभग 40 मिनट रहली। हुनका संग प्रदेश कांग्रेस के नेता भरत सिंह सोलंकी आओर शंकर सिंह वाघेला छलखिन। मीरा कुमार 17 जुलाई क' होमे जे रहल राष्ट्रपति चुनाव म' एनडीए के उम्मीदवार रामनाथ कोविंद केर  खिलाफ ठाढ़ छथि।

मीरा कुमार कहलनि कि हमरा सभके महात्मा गांधी केँ विचारधारा क' आगू ल' जेबाक अछि। हम आश्रम म' गांधीजी के घर हृदय कुंज म' किछु समय बितेलहुँ। हमरा आय एहि लडाई क' आगू ल' जेबाक लेल बहुत ऊर्जा भेटल अछि। मीरा कुमार आश्रम म' चरखा सेहो चलौलनि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने