RJD के आरोप मोदी के इशारा पर भ' रहल अछि छापामारी, नीतीश कुमार बजौलैन्ह बैठक

पटना। 07 जुलाई। लालू यादव के सभ ठिकाना पर छापामारी चालू अछि।  राष्ट्रीय जनता दल के कार्यकर्ता सभक आक्रोश देखैत पूरा इलाका म' सुरक्षा बढ़ाओल गेल अछि। 10 सर्कुलर रोड पुलिस छावनी म' तब्दील भ' चुकल अछि। दू दर्जन सीबीआई के अधिकारी लगातार 10 सर्कुलर रोड म' कागजात खोजबा म' भिड़ल छथि।

10 सर्कुलर रोड के बाहर पुलिसकर्मि आओर मीडियाकर्मि सभक जमावड़ा लागल अछि। एक दू  राजद कार्यकर्ता लालू आवास के भीतर गेला मुदा किछु समय भीतर रहलाक बाद वापस भ' गेला। राजद प्रवक्ता आओर विधायक शक्ति यादव छापामारी के दौरान 10 सर्कुलर रोड के भीतर  दाखिल भेला। लगभग 10 मिनट भीतर रहलाक बाद ओहो बाहर आएब गेला। मीडिया स' बातचीत करबाक दौरान ओ कहलनि कि मोदी के इशारा पर ई छापामारी चैल रहल अछि। मुदा हम सभ ऐहिके मजबूती सँ मुकाबला करब। 

एहि सभक बीच हालात क' देखैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार राजगीर म' उच्च स्तरीय बैठक बजौना छथि। अपने क' बता दी सीबीआई 2006 म' रेलमंत्री रही चुकल लालू प्रसाद यादव, पत्नी राबड़ी देवी, हुनकर बेटा सभक संगे संग आन लोग सभक खिलाफ मामला दर्ज केलनि अछि। एहि सभ लोग पर रांची आओर पुरी म' रेलमंत्रालय द्वारा होटल बनेबाक लेल जारी टेंडर म' धांधली के आरोप अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ