सहरसा। 04 जुलाई। 10 जुलाई स' शुरू होमै बला विश्व प्रसिद्ध श्रावणी मेला केँ तैयारी म' जता जिला व रेल पुलिस व पदाधिकारी लोकनि भिड़ल छथि, ओतहि पूर्व रेलवे मालदा मंडल प्रशासन सेहो श्रावणी मेला म' अएबाक आओर जएबाक लेल लाखों कांवरियां सभक लेल चारि गोट स्पेशल ट्रेन चलेबाक मंजूरी द' देना अछि। रेल प्रशासन 9 जुलाई स' एहि सेवा केँ शुरुआत करत।
ई जानकारी पूर्व रेलवे मालदा मंडल के प्रभारी डीआरएम एसके सरदार द्वारा प्राप्त भेल। एसके सरदार कहलनि कि मुंगेर गंगाब्रिज स' दू श्रावणी स्पेशल ट्रेन चलाओल जायत। एहिमे गोरखपुर देवघर वाया मुंगेर आओर दोसर सरहसा भागलपुर वाया मुंगेर शामिल अछि। गोरखपुर देवघर के लेल किऊल दके सेहो एक ट्रेन चलाओल जायत। ओतहि जमालपुर स' सुल्तानगंज लेल एक पैसेंजर ट्रेन चलाओल जायत। ऐहिक अलावा सुल्तानगंज स्टेशन पहुंचे बला 5 एक्सप्रेस ट्रेन क' सेहो 2 मिनट लेल रोकल जायत। सभ ट्रेन के टाइम टेबल जल्दे सार्वजनिक कएल जाएत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।