तेजस्वी यादव के सफाई : 13-14 बरखक उम्र म' कियो कोना घोटाला क' सकैछ ?

पटना। 12 जुलाई। घोटाला के आरोप म' घेराओल उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव कहलनि कि हम अपन काम ईमानदारी सँ करैत छी। भ्रष्टाचार पर हमार नीति जीरो टॉलरेंस के अछि। हमरा ऊपर एफआईआर एक राजनीतिक साजिश के तहत काएल गेल अछि।

पटना म' पत्रकार सभसँ बातचीत म' तेजस्वी यादव कहलनि कि 13-14 बरखक उम्र म' कियो कोना घोटाला क' सकैछ। हमरा ऊपर एफआईआर राजनीतिक साजिश थीक। ई महागठबंधन क' तोड़बाक बीजेपी के साजिश अछि, जे कामयाब नहि होएत। महागठबंधन अटूट अछि आओर रहत।  ऐहिक संगे तेजस्वी यादव कहलनि कि पिछड़ा वर्ग होयबाक सजा हमरा देल जे रहल अछि। हम अपन काज ईमानदारी सँ करैत छी। हम बेदाग छी, हमरा इस्तीफा देबाक सवाले नहि उठैत अछि। 

मोदी सरकार पर वार करैत तेजस्वी कहलनि कि 28 बरखक नौजवान स' मोदी सरकार डरैत अछि, पहिनेलालू जी स' डरैत छल आब तेजस्वी यादव स' डरैत अछि। बिहारे नहि पूरा देश सँ बीजेपी क' उखैड फेकब। अमित शाह आओर मोदी क' पूरा देश सँ सफाया क' देल जाएत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ