पूरा अस्पताल तालाब म' बनी गेल अछि। अस्पतालक कुनु एहेन विभाग नहि अछि जताजलजमाव नहि होय। आपातकालीन सेवा, शिशु विभाग, मरीज सभकवार्ड, डॉक्टर के बैसबाक कमरा सभ जगह पैन भड़ल अछि। ठेंगहुन भैर पैन म' लोग आबैत जाएत छथि। मरीज सभक बिस्तर के नीचा सेहो ठेंगहुन भैर पैन भड़ल अछि। मशीन सभ पैन म' पड़ल अछि। दवा रुम म' सेहो पैन भड़ल अछि, जाहि पैन म' कैको कार्टन दवा हेलैत देखल गेल। यदि समय सँ ओकरा नहि निकालल गेल तँ लाखों के दवा खराब भ' जाएत।
एतबे नहि शिशु विभाग के आईसीयू म' सेहो पैन अपन कब्ज़ा जमा लेना अछि, जाहिक चलते बिजली सेवा पूरा तरहे बंद अछि। जाहि कारण सँ एता उचित इलाज संभव नहि देखकर द' रहल अछि। ऐना म' आब मरीज आओर परिजन एता जे लागल छथि। परिजन सभक मानी तेँ सभ जगह जलमग्न अछि।
ओतहि, दोसर तरफ आपातकालीन सेवा म' पैन लगलाक कारण डाक्टर सभ अपन चेंबर सँ निकैल बाहर पैन म' बैस क' जरूरतमंद लोग सभके सेवा द' रहल छथि। अस्पताल अधीक्षक के मानी ते पैन सँ जे हालत बनल अछि ऐना म' सभक ठीक सँ उपचार करब संभव नहि अछि। हालात के अंदाजा एहि सँ लगा सकैत छी कि अस्पताल अधीक्षक खुद कहला कि मरीज सभके भोजन तक नहि भेट पाएब रहल अछि।
शहर के दोसर हिस्सा म' पैन तबाही मचा रहल अछि। झमाझम पैनक कारण सैदनगर इलाका म' बनल बाईपास सड़क के नवा पुल टूईट गेल। हालत एतेक बत्तर भ' चुकल अछि कि खुद दरभंगा के जिलाधिकारी शहर के कैको इलाका म' घूमी पैनक कारण आएल आफ़तक जायजा लेलनि आओर एहि सँ निपटबाक लेल आपातकालीन बैसार बजौलनि। डीएम चंद्रशेखर सिंह कहलनि कि बारिश क' देखैत 13 जुलाई धरी सभ स्कूल क' बंद क' देल गेल अछि। ओतहि, पैनक कारण क्षतिग्रस्त भेल पुल के मरम्मतक काज शुरू क' देल गेल अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।