
नई दिल्ली। 11 जुलाई। जम्मू-कश्मीर के अनंतनाग म' अमरनाथ यात्री पर भेल आतंकी हमलाक बाद पूरा देशक सुरक्षा एजेंसि सभके हाई अलर्ट क' देल गेल अछि। सभ टॉप अफसर सुरक्षा हालात केँ समीक्षा म' लागल छथि। उत्तर प्रदेश म' कांवड़ यात्रा पर निकलै बला श्रद्धालु सभक सुरक्षा चाक-चौबंद करबाक आदेश देल गेल अछि। गृह मंत्री राजनाथ सिंह एक अहम बैठक बजौलैन्ह। एहि बैठक म' सुरक्षा हालातकेँ समीक्षा काएल जाएत। एहि बीच, गृह मंत्रालय के एक टीम श्रीनगर रवाना भ' गेल अछि। ओतहि, आईजी कश्मीर मुनीर खान कहलनि कि अमरनाथ यात्री सभ पर भेल हमलाकेँ साजिश लश्कर ए तैयबा रचलनि। हमलाकेँ मास्टरमाइंड पाकिस्तानी आतंकी इस्माइल छथि।
अपने क' बता दी कि कैल्हि सोम दिनक सांझ अमरनाथ यात्री सभक बस पर भेल आतंकी हमला म' 7 श्रद्धालु के मौत भ' गेलैन्ह, जखन की 32 श्रद्धालु घायल बताओल जे रहल अछि। ई श्रद्धालु सभ दर्शन के बाद वापस आबैत छलखिन। ओतहि, राज्य के कैको आला सुरक्षा अधिकारी आए भोर घटनास्थल पर पहुँचल आओर हालात के जायजा लेलक। सीआरपीएफ के आईजी ऑपरेशंस जुल्फिकार हसन कहलनि कि हमलाकेँ जांच जम्मू-कश्मीर पुलिस क' रहल अछि। जुल्फिकार कहलनि कि यात्रा एखनहुँ जारी अछि आओर ऐहिके शांतिपूर्ण तरिका सँ संपन्न करेबाक लेल सुरक्षा के समुचित इंतजाम काएल गेल अछि। ओम्हर, जम्मू म' मोबाइल डेटा सर्विस क' रोइक देल गेल अछि। खाली बीएसएनएल के ब्रॉडबैंड सर्विस सीमित स्पीड संग उपलब्ध अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।