नीतीश कुमार बिहार विधानसभा म' साबित केलथि बहुमत

पटना। 28 जुलाई। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार विश्वासमत हासिल क' लेना छथि। आए विधानसभा म' आरजेडी आओर कांग्रेसी सदस्य सभक भारी हंगामा के बीच बहुमत परीक्षण भेल। नीतीश कुमार बहुत आसानी सँ जरूरी आंकड़ा हासिल क' लेलथि। नीतीश कुमार के अगुआई बला एनडीए गठबंधन क' 122 के जादुई आंकड़ा हासिल करबाक छल। आए भोर 11 बजे विधानसभा के कार्यवाही शुरू होएबाक बाद नीतीाश कुमार विश्वासमत प्रस्ताव राखलथि। ऐहिक बाद, सत्ता आओर विपक्ष के नेता सभ एक दोसरक ऊपर निशाना साधब शुरू क' देलथि। 

बहुमत परीक्षण क' टीवी पर लाइव टेलिकास्ट नहि कएल गेल। सूत्र सँ प्राप्त जानकारी केर मुताबिक, विधानसभा के सीन पूरा तरहे बदलल छल। सत्ताधारी बेंच पर बैसै बला आरजेडी आओर कांग्रेसी सदस्य विपक्ष के तौर पर नीतीश के सामने ठाढ़ छल। हंगामा क' रहल आरजेडी आओर कांग्रेस गुप्त मतदान केर मांग करैत छल। बिहार के पूर्व उपमुख्यमंत्री आओर आरजेडी लीडर तेजस्वी यादव विपक्ष के नेताक तौर पर सदन म' अप्पन बात राखलैथ। विश्वास मत केर विरोध म' बाजैत तेजस्वी यादव नीतीश, सुशील मोदी आओरबीजेपी क' खूब खरी-खटी सुनौलनि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ