एहि दौरान आरोपी युवक क' लोग सभक तामस के शिकार हुवे परलनि। हजारो के संख्या म' कार्यकर्ता थाना पहुंच थाना के गेटक बाहर खूब हंगामा केलनि। आक्रोशित लोग सभ थाना चौक पर टायर जड़ा यातायात बाधित कएलनि संगहि थाना चौक सहित डीबीरोड, शंकर चौक क. बंद करा देलनि। सदर थानाध्यक्ष भाई भरत लोगसभके बुझेबाक प्रयास कएलनि, मुदा प्रदर्शनकारि सभक तामस शांत नहि भेल। ऐहिक बाद सदर एसडीओ सौरभ जोड़वाल, सदर एसडीपीओ सुबोध विश्वास सहित कैको अधिकारी सदर थाना पहुँच मामला केँ समाधान करबाक कोशिश कएलनि। ऐहिक बाद एसडीओ के पहल पर विधायक नीरज कुमार बबलू, पूर्व विधायक डॉ. आलोक रंजन, संजीव कुमार झा सँ वार्ता के बाद हिरासत म' लेल गेल युवक क' न्यायालय भेजल गेल। न्यायालय ल' जेबाक दौरान कड़ा सुरक्षा व्यवस्था के बीच आक्रोशित लोग सभ पुलिस वाहन पर हमला क' देलनि। जाहिक बाद कुनू तरहे आरोपी गुलशेर अली क' न्यायालय ल' जाएल गेल।
आक्रोशित लोग सभ पुलिस वाहन पर हमला करि पत्थर फेकब शुरू कएलनि। ऐहिक बादो प्रदर्शनकारि सभक तामस शांत नहि भेल ओ सभ शहर म' कैको जगह पर हंगामा शुरू क' देलनि, बाद म' सदर एसडीओ सौरभ जोरवाल द्वारा आरोपी युवक पर कठोर कार्रवाई के आश्वासनक बाद लोग शांत भेल। घटना के बाद तनावपूर्ण स्थिति क' देखैत पुलिस प्रशासन द्वारा माहौल पर निगरानी राखल जे रहल अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।