सहरसा - मानसी रेलखंड के फनगो हॉल्ट पर बाढ़िक पैन सँ बढ़ी सकैत अछि खतरा

सहरसा। 13 जुलाई। नेपालक तराई इलाका म' भ' रहल मूसलाधार बारिशक कारण सँ सहरसा - मानसी रेलखंड के फनगो हॉल्ट लग ट्रैक धसबाक चिंता सभके सता रहल अछि। ओना सेक्शन इंजीनियर राकेश कुमार कैंप लगा फनगो हॉल्ट पर नजैर राखने छथि। बोल्डर स' ट्रैक क' सुरक्षित रखबा म' राकेश जुटल छथि। ओतहि स्पर संख्या 5 आओर 6 पर कोसी के कटावक कहर जारी अछि।

पछिला किछु दिन सँ कोसी बराज सँ लगातार छोड़ल जे रहल पैनक कारण सँ फनगो हॉल्ट लग कटाव स्थल पर पैनक दबाव देखकर देबा लागल अछि। प्राप्त जानकारी के मुताबिक फनगो हॉल्ट लग स्पर संख्या 6 आओर  सात के बीच 2016 म' भेल जबरदस्त कटाव के बाद रेलवे द्वारा लगाओल गेल बोल्डर पर पैन पसरे लागल अछि। जानकार सभक मुताबिक़ ट्रैक के नीचाक मैट गील भ' रहल अछि जाहि कारण सँ कखनहुँ ट्रैक धसी सकैत अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ