एक बेर फेर सँ इतिहास दोहरा सकैत छथि नीतीश कुमार

पटना। 13 जुलाई। बिहार म' महागठंधन के भविष्य पर संकट बरकरार अछि। एखन धरी नीतीश कुमार जे संकेत देना छथि ओहिसँ लागैत अछि कि ओ फेर सँ इतिहास दोहरा सकैत छथि। बुझा रहल अछि जे आरजेडी आओर कांग्रेस संग हुनका मोन नहि लागि रहल छैन्ह।

दरअसल, एनडीए म' रहैत नीतीश कुमार 2012 केँ राष्ट्रपति चुनाव म' यूपीए उम्मीदवार प्रणब मुखर्जी क' समर्थन देना छलखिन। ओनाकि बाद म' उपराष्ट्रपति चुनाव म' एनडीए उम्मीदवारक संग देना छलखिन। ओहिक बाद बीजेपी स' नीतीश कुमार के दुरी बढे लागल छल। ओहिक बाद कैको मुद्दा पर नीतीश कुमार के राय एनडीए सँ अलग होएत छल। 

जाहिक बाद बीजेपी स' मोदीकेँ नाम पर नीतीश क' मतभेद बढ़ैत गेल। नीतीश कुमार लगातार गुजरात दंगा के कारण स' मोदी के संग मंच शेयर करै सँ परहेज करैत छला। पंजाब के एक रैली म' मोदी के संग नीतीश कुमार मंच पर हाथ मिलेना छथि। ओहिक किछु मास बाद पटना म' बीजेपी संसदीय बोर्ड केर बैठक भेल। मोदी समेत तमाम बड़का नेता बैठक म' शामिल भेल छला। नीतीश अपन आवास पर नेता सभके भोज लेल आमंत्रित केना छलखिन। अखबार म' नीतीश संग मोदी के फोटो छपल छल जाहिक बाद नीतीश ओहि भोज क' रद्द क' देना छलखिन।

आगा बीजेपी जहिना मोदी के नामक ऐलान केलनि नीतीश कुमार  गठबंधन सँ अलग होयबाक फैसला कएलनि। नीतीश कुमार 13 जून 2013 क' मोदी के नाम पर सिद्धांत व निति सभक दुहाई दैत सरकार स' अलग कोयबाक फैसला कएलनि। 

सियासी संग्रामक बाद नीतीश कुमार एक बेर फेर सँ ओहि तरहक संकेत द' रहल छथि। नीतीश कुमार राष्ट्रपति चुनाव म' एनडीए उम्मीदवारक समर्थन करथिन तेँ उपराष्ट्रपति चुनाव के लेल यूपीए उम्मीदवारक संग देथिन। साथ देंगे। ओतहि, लालू परिवार पर सीबीआई केर कार्रवाई के बाद नीतीश व गठबंधन के सहयोगी दल सभक बीच मतभेद खुलिके सामना आएल अछि। नीतीश कुमार चाहैत छथि कि भ्रष्टाचार के आरोप झेल रहल  तेजस्वी यादव क' अपन पद सँ इस्तीफा द' देबाक चाहि। जेकि इशारा - इशारा म' ओ आरजेडी क' ई स्पष्ट क' देना छथि। 

दरअसल, भ्रष्टाचार के कैको मुद्दा पर नीतीश कुमार बिहार म' बहुतो अधिकारी व मंत्री सभ पर कार्रवाई क' चुकल छथि। ऐना म' 'बेदाग' नीतीश अपन  कैबिनेट म' 'दागदार' तेजस्वी क' नहि चाहैत छथि। सियासी गलियारा म' ई चर्चा जोर पर अछि कि नीतीश फेरसँ 2012 बला इतिहास दोहरा सकैत छथि। किएक जे  नीतीश कुमार आओर बीजेपी के बीच एहि समय नजदीकी बढ़ैत देखकर द' रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ