प्राप्त जानकारी के मुताबिक लालू प्रसाद पर सीबीआई के एहि कारवाई के बाद राजद कार्यकर्ता सभमे आक्रोश बढ़ी सकैछ। जाहिक कारण सँ सभ जिला म' सुरक्षा बढ़ेबाक आदेश देल गेल अछि। बताओल जे रहल अछि कि लालू प्रसाद के समर्थक सड़क पर उतैर रहल छथि। एहेन स्थिति म' लॉ एन्ड ऑर्डर केर समस्या उतपन्न भ' सकैछ। जाहिक लेल पहिने सँ तैयारी करबाक आदेश जारी काएल गेल अछि।
एम्हर पटना म' सेहो राबड़ी आवास के बाहर सुरक्षा बढ़ाओल गेल अछि। आवास के बाहर भारी पुलिस बल क' तैनात काएल गेल अछि। राबड़ी आवास दिस जाए बला सभ रास्ता पर पुलिस नजैर राखने अछि। कुनु भी तरहक घटना सँ पुलिस बल क' तुरंत निपटबाक आदेश देल गेल अछि।
अपने क' बता दी कि आए शुक्रवार दिन लालू प्रसाद रांची म' छथि। चारा घोटाला मामला म' आए हुनकर सीबीआई के विशेष अदालत म' पेशी छैन्ह। एम्हर बिहार म' सीबीआई के छापामारीक खबैर के बाद सँ माहौल गरमा गेल अछि। बताओल जे रहल अछि कि हुनका आवास म' पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी के संग हुनकर बेटा उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव आओर स्वास्थ्य मंत्री तेजप्रताप यादव मौजूद छथि।
अपने क' बता दी सीबीआई 2006 म' रेलमंत्री रही चुकल लालू प्रसाद यादव, पत्नी राबड़ी देवी, हुनकर बेटा सभक संग बहुत रास आन लोगक खिलाफ मामला दर्ज केलनि अछि। समाचार एजेंसी एएनआई केर मुताबिक, एहि सभ लोग पर रांची आओर पुरी म' रेलमंत्रालय द्वारा होटल बनेबाक लेल जारी टेंडर म' धांधली के आरोप अछि। ओहि समय लालू यादव रेल मंत्री छला।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।