महेश्वर प्रसाद एक मीडिया कर्मी सँ बातचीत म' दावा कएलनि कि राजद के 80 विधायक म' बेसी विधायक हुनके एहेन राय राखै बला छथि। मुदा, सच बाजबाक साहस कियो नहि क' पाएब रहल छथि। आगा ओ कहलनि कि समय अएला पर राजद म' नवा नेता सेहो उभरत। जाहि दिन सीबीआई के छापा पड़ल तेजस्वी यादव क' खुद इस्तीफा द' देबाक चाही रहे।
आगा ओ कहलनि कि सीबीआई के आरोप म' दम अछि। ऐहिके पूरा तरहे फुइस कोना सावित काएल जे सकैछ। साक्ष्य सभक समक्ष अछि। एहि कारण नीतीश कुमार 15 दिन धरी तेजस्वी सँ इस्तीफा के लेल द्वार - द्वार घुमैत रहला मुदा नहिये तेँ तेजस्वी इस्तीफा देलनि आओर नहिये सफाई। राजद विधायक कहलनि कि नीतीश कुमार जखन प्रण केना छथि कि हुनका मंत्रिपरिषद म' कुनु दागी नेता नहि रहता तेँ एहिमे गलत की अछि? तेजस्वी सँ इस्तीफा मांगब गलत नहि छल। नीतीश कुमार के लेल राजद-कांग्रेस के संग छोड़ब हुनकर विवशता के परिणाम अछि।
1 टिप्पणियाँ
बड्ड नाईक लागल मैथिलि पैरह क।
जवाब देंहटाएंमिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।