बिहार कांग्रेस म' फूट, 18 विधायक एनडीए म' भ' सकैत छथि शामिल

पटना। 28 जुलाई। बिहार म' जारी सियासी उठापटक के बीच आब खबैर भेट रहल अछि कि बिहार म' कांग्रेस पार्टी टूटी सकैत अछि। सूत्र सँ भेट रहल जानकारी केर मुताविक बिहार कांग्रेस के 18 विधायक एनडीए म' शामिल भ' सकैत छथि। अपने क' बता दी बिहार म' कांग्रेस के 27 विधायक छथि।

ज्ञात हो कि नीतीश कुमार बुधदिन महागठबंधन सँ अलग भ' बीजेपी केर मदैद सँ छठम बेर बिहार के मुख्यमंत्री बनल छथि। तखने सँ मीडिया म' खबैर आबि रहल अछि कि आरजेडी आओर कांग्रेस के किछु विधायक जेडीयू के संपर्क म' छथि। 

ओतहि, आरजेडी दिस सँ सेहो दावा काएल जे रहल अछि कि जेडीयू के 20 स' बेसी विधायक हुनका संपर्क म' छथि, जाहिमे मुस्लिम आओर यादव विधायक सभक संख्या बेसी अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने