बीजेपी के समर्थन पर जेडीयू म' फूट, शरद आओर अली अनवर नाराज

पटना। 27 जुलाई। बिहारक राजनीती म' एकहि रातिमे कैको मोड़ देखबाक लेल भेटल। कैल्हि जता नीतीश कुमार तेजस्वी यादव के घोटाला बला मुद्दा पर इस्तीफा दैत गठबंधन तोड़ला ओतहि तुरंत बाद बीजेपी द्वारा नीतीश क' बिनाशर्त समर्थन देबाक ऐलान काएल गेल। आब एहि समर्थन आओर गठबंधन टुटबा ल'क' जेडीयू म' बवाल मचल अछि। जेडीयू के वरिष्ठ नेता आओर राज्यसभा सांसद अली अनवर आओर शरद यादव खुलिके ऐहिक विरोध क' रहल छथि।

पूर्व जेडीयू अध्यक्ष शरद यादव एहि पूरा घटनाक्रम पर मीडिया केर समक्ष अप्पन नाराजगी जाहिर केलथि। शरद यादव कहलनि कि नीतीश कुमार सरकार बनेबाक फैसला बहुत जल्दबाजी म' लेना छथि। गठबंधन तोईड़ एतेक जल्दी बीजेपी केर समर्थन सँ सरकार बनेबाक फैसला क' हम समर्थन नहि करैत छी। अपने क' बता दी 2013 म' बीजेपी सँ रिश्ता टुटलाक बाद सँ शरद यादव सदिखन बीजेपी पर खुलीकेँ हमला करैत आएब रहल छथि।

ओतहि, जेडीयू के राज्यसभा सांसद अली अनवर सेहो अंतरात्मा केर पुकार  दोहरेलथि। जता नीतीश कुमार कहलनि कि ओ अंतरात्मा केर  पुकार पर इस्तीफा देलथि। ओतहि, हुनक पार्टी के सांसद अली अनवर कही रहल छथि कि हुनकर अंतरात्मा एहि फैसला संग नहि अछि। आगा ओ कहलनि कि बीजेपी के जाहि बात सँ हमरा परहेज छल, बीजेपी आब ओहि दिस आओर उग्रता संग बढ़ी रहल अछि।

ओनाकि, एहि पूरा उठापटक के बीच नीतीश कुमार आए एक बेर फेरसँ मुख्यमंत्री पदक शपथ लेलनी। जेडीयू म' खींचतान के एहि राजनीति गठबंधन पर केहेन असर डालैत अछि, एहि पर सभक नजैर अड़ल अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ