पटना एयरपोर्ट पर इंडिगो विमान केँ टायर फटलाक बाद बड़का हादसा टरल , सभ यात्री सुरक्षित

पटना। 01 जुलाई। पटना एयरपोर्ट पर ओहि समय एक बड़का हादसा टरल जखन नई दिल्ली के लेल रवाना भ' रहल इंडिगो के एक विमानक टायर उड़ान भरैत घरी फाटि गेल। राहतक गप ई रहल कि सभ यात्री सुरक्षित रहल ओनाकि एहि कारण से दोसर विमान सभ प्रभावित भेल।  

इंडिगो के विमान जहिना टेक ऑफ करब शुरू केलक, ओहिक टायर फाटि गेल। टायर फटलाक कारण सँ सभ यात्री डरा गेल मुदा गनीमत रहल कि कुनु यात्री घायल नहि भेल। एहि हादसा केँ कारण सँ 4 उड़ान म' देरी भेल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ