अपने क' बता दी जे राजधानी पटना के बीचों - बीच स्थित जय प्रकाश नारायण इंटरनेशनल एयरपोर्ट बहुत छोट अछि। चाहे विमानक लैंडिंग के जगह होय वा एयरपोर्ट के भीतर यात्री सभक बैसबाक जगह। पटना एयरपोर्ट के ई बहुत शर्मनाक फोटो सामना आएल अछि, अहाँ साफ देखि सकैत छी जे एहो फोटो म' यात्री लोकनि जमीन पर बैसल छथि। एक फोटो म' जाता यात्री लोकनि अखबार बिछा बैसल नजैर आबैत छथि ओतहि दोसर फोटो म' यात्री लोकनि ठाढ़ देखकर द' रहल छथि। हिनका सभके बैसबाक लेल जगह नहि अछि।
एतबे नहि पटना एयरपोर्टक रनवे के लंबाई सेहो छोट अछि, जाहि कारणसँ पायलट बड्ड जोखिम उठा विमान सभक लैंडिंग करैत छथि। ओनाकि एयरपोर्ट के विस्तार काएल जे रहल अछि आओर साल 2021 तक दू गोट नबका मकान के बनबाक बाद पटना एयरपोर्ट सालाना 50 लाख यात्री सभक यात्रा संचालित करबा म' सक्षम भ' जाएत। पटना एयरपोर्ट के मौजूदा वार्षिक क्षमता 5 लाख यात्री अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।