
मुंबई। 06 जुलाई। देश म' मोबाइल क्रान्ति शुरू होयबाक दौर म' रिलायंस कम्पनी जाहि तरह स' "क' लिआ दुनिया मुट्ठी म" अभियान के तहत 500 टाका म' मोबाइल बांटबाक अभियान चलेना छल ओहि तरहे रिलायंस आब 500 टाका म' सभक हाथ म' 4 G क्रांति पहुँचेबाक तैयारी क' रहल अछि। रिलायंस अपन 4 G Volte एहि मास बजार म' उतारबाक तैयारी क' रहल अछि।
रिलायंस जियो के बाद ई कम्पनी भारत के बाज़ार म' एक आओर बड़का धमाका करबाक फैसला केना अछि। 21 जुलाई क' रिलायंस के सालाना आम बैठक म' एहि फोन क' लांच करबाक तैयारी अछि। एहि स्मार्ट फोन क' रिलायंस 1475 टाका म' किनत आओर अपन ग्राहक क' 975 टाका के सब्सिडी देत। एहि तरहे लोग क' एक नीक 4 G फोन मात्र 500 टाका म' भेटत।
खबैर अछि कि रिलायंस इंडस्ट्री के सालाना आम बैठक म' कंपनी अपन नवा टैरिफ प्लान के घोषणा सेहो करत। बताओल जे रहल अछि कि रिलायंस एहि तरहक दू करोड़ फोन किनबाक लेल आर्डर सेहो द' देना अछि। रिलायंस के नजैर ओहि मोबाइल उपभोक्ता पर अछि जे चाहैतो महगा स्मार्टफोन नहि किन पाबैत छथि। जाहि कारण स' ओ एखनहुँ 4 G के बजाय 2 G पर रुकल छथि। मुकेश अम्बानी के ई प्लान एक बेर फेर सँ देश के मोबाइल बाज़ार म' क्रान्ति आनत। रिलायंस जियो के विरोध करै बला कम्पनी सभ आब हैंडसेट योजना स' पूरा तरहे धाराशाई भ' सकैत अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।