नीतीश कुमार छठम बेर लेलनि मुख्यमंत्री पदक शपथ, सुशील मोदी बनला उपमुख्यमंत्री

पटना। 27 जुलाई। महज 24 घंटाक भीतर बिहार के सियासी छवि पूरा तरहे बदैल गेल। कैल्हि धरी जे दुश्मन छला, ओ दोस्त भ' गेला आओर  सत्ता म' भागीदार सेहो। आरजेडी सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव के बेटा तेजस्वी  यादव पर घोटाला के आरोपक हवाला द' महागठबंधन क' खत्म करै बला नीतीश कुमार एनडीए के सहयोग सँ दुबारा सरकार बना लेना छथि। आए गुरुवार दिन नीतीश कुमार छठम बेर बिहारक मुख्यमंत्री केँ तौर पर शपथ लेलनि। वरिष्ठ बीजेपी नेता सुशील मोदी बतौर उपमुख्यमंत्री पदक शपथ लेलनि। 

आब बिहारक सत्ता के सियासी गणित पूरा तरहे बदैल चुकल अछि। 243 सीट बला बिहार विधानसभा म' एनडीए के सहयोग सँ नीतीश कुमार बहुमत के आंकड़ा 122 सँ आगू छथि।  जेडीयू लग 71 विधायक अछि। बीजेपी के 53, एलजेपी के 2, आरएलएसपी के 2 आओर जीतनराम मांझी के हम के 1 विधायक सभक सहयोग सँ सत्ताधारी गठबंधन के पाला म' आब कुल 129 विधायक अछि। सूत्र केर मुताबिक, नीतीश कुमार कैल्हि शुक्रदिन अपन बहुमत साबित करता। ऐहिक बाद बांकी मंत्री शपथ लेता। 
 
आब सभक नजैर आरजेडी सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव के अगिला सियासी चाल पर अछि। अपने क' बता दी तेजस्वी यादव कहलनि कि ओ गवर्नर द्वारा नीतीश कुमार क' सरकार बनेबाक लेल बजेबाक फैसला क' कोर्ट म' चुनौती देथिन। तेजस्वी यादव के तर्क अछि कि आरजेडी सभसँ पैघ राजनीतिक पार्टी छल, ऐहिक लेल आरजेडी क' सरकार बनेबाक मौका देबाक चाही। राजनीतिक जानकार सेहो ई मानैत अछि कि अगर आरजेडी क' बीजेपी विरोधी जेडीयू विधायक सभक समर्थन भेट जेतिए तँ ओहो सरकार बना सकैत छल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ