IGIMS स' बेटाक शव कन्हा पर ल' जेबाक मामला म' अपर चिकित्सा अधीक्षक निलंबित

पटना। 26 जुलाई। राजधानी पटना के दोसर सभसँ पैघ अस्पताल इंदिरा  गाँधी आयुर्विज्ञान संस्थान (IGIMS) म' मानवता क' शर्मसार करै बला मामला म' अस्पताल के अपर चिकित्सा अधीक्षक संजय कुमार क' निलंबित क' देल गेल अछि। मामला अस्पताल म' भर्ती एक बच्चा के शव क' पिता द्वारा कन्हा पर ल' जेबा सँ संबंधित अछि। बच्चा कैंसर सँ पीड़ित छल आओर हुनकर इलाज मुख्यमंत्री राहत कोष सँ चलैत छल। 

बताओल जे रहल अछि कि इलाज के दौरान जखन बच्चा के मौत भ' गेलनि तेँ ओता के कर्मचारी सभ एंबुलेंस उपलब्ध करेबाक बदला उल्टे बेड छोड़बाक दवाब बनबे लागलनि। बच्चा के परिजन सभ बच्चा क' कन्हा पर उठा ल' गेलनि। एहि घटनाक खबैर मीडिया म' अएबाक बाद अस्पताल प्रबंधन हरकत म' आबि अस्पताल के निदेशक एन आर विश्वास मामला म' कार्रवाई करबाक बात कहलनि। प्राप्त जानकारी केर मुताबिक बच्चा पछिला कैको दिन सँ अस्पताल म' भर्ती छलाह आओर ओ कैंसर सँ पीड़ित छलाह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ