जदयू के महिला विधायक वीणा भारती क' भेटल जानसँ मारबाक धमकी

सुपौल। 25 जुलाई। त्रिवेणीगंज सँ जदयू विधायक वीणा भारती क' अज्ञात मोबाइल नंबर स' जानसँ मारबाक धमकी भेटल अछि। धमकी भेटलाक  बाद विधायक भारती थाना म' मामला दर्ज करौलनि। फिलहाल पुलिस एहि मामला के जांच क' रहल अछि। 

वीणा भारती कहली कि हुनका तीन बेर अज्ञात मोबाइल नंबर स' फोन आएल। दू बेर फोन नहि उठेला पर जखन ओ तेसर बेर फोन उठेलि तेँ हुनका जानसँ मारबाक धमकी भेटल। 

धमकी भेटलाक  बाद विधायक भारती थाना म' मामला दर्ज करौलनि।विधायक के आवेदन पर पुलिस मामला दर्ज करि जांच म' जुटल अछि। सुपौल के एसपी कहलनि कि मामला के जांच भ' रहल अछि, जल्दे आरोपी क' गिरफ्तार क' लेल जाएत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ