सहरसा। 25 जुलाई। [पारस कुमार झा] मैथिली के विद्वान पुत्र, कवि, साहित्यकार, लोकगीत गायक, प्राध्यापक डाॅ. महेन्द्र झा द्वारा लिखल 59 गोट कविताक संग्रह "मेटायल पता पर अबैत चिट्ठी" के लोकार्पण रविदिन साँझ राग - रंग के तत्वाधान म' स्थानीय गंगजला नगरपालिका चौक लग स्थित डाॅ. केसी झा के आवास परिसर म' सम्पन्न भेल। राग - रंग के पहिल कार्यक्रमक अध्यक्षता डाॅ. (प्रो.) ललितेश मिश्र एवम् मंच संचालन डाॅ. (प्रो.) कमल मोहन ठाकुर "चुन्नूजी" कयलनि।
डाॅ. केसी झा के स्वागत भाषण सँ शुभारम्भ भेल कार्यक्रम म' श्री अजीत आजाद, शैलेन्द्र मिश्र शैली, डाॅ. रामचैतन्य धीरज, डाॅ. ज्योतिवर्द्धन, डाॅ. विनय कुमार चौधरी, डाॅ. देव नारायण साह, डाॅ. महेन्द्र झा, डाॅ. कमल मोहन "चुन्नूजी" एवम् अध्यक्ष श्री मिश्रक उद्बोधन व विमर्श सुखद एवम् स्मरणीय रहल। डाॅ. राजाराम प्रसाद, डाॅ. एस.पी. झा, डाॅ. विनोद कुमार झा, डाॅ. बालगोविन्द सिंह, डाॅ अरविन्द मिश्र "नीरज", रंजीत सिंह, संजय वशिष्ठ, बहिन इन्दुलेखा आओर श्वेता शाकम्भरी के गरिमामयी उपस्थिति सहरसाक साहित्याकाश सुन्नर भवितव्य देखा देलक।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।