स्वास्थ्य मंत्री तेज प्रताप के पेट्रोल पंपक लाइसेंस रद्द, बीजेपी मांगलनि इस्तीफा

पटना। 21 जुलाई। भारत पेट्रोलियम कॉरपोरेशन (BPCL) स्वास्थ्य मंत्री आओर आरजेडी सुप्रीमो लालू यादव के बड़का बेटा तेज प्रताप के पेट्रोल पंपक लाइसेंस कैंसिल क' देलनि। लाइसेंस रद्द करबाक पाछा कारण बताओल गेल अछि कि ओ पेट्रोल पंपक लाइसेंस लेबा म' गलत जानकारी के आधार पर आवेदन केलनि। 

बताओल जे रहल अछि कि बीपीसीएल अधिकारी सभक एक टीम पेट्रोल पंप पहुंच लाइसेंस रद्द होएबाक नोटिस देलनि। बीपीसीएल ई कार्रवाई तखन कएलनि अछि जखन कोर्ट द्वारा तेज प्रताप यादव के पेट्रोल पंप पर तेल कंपनी के कार्रवाई पर लगाओल स्थगन हटा लेलनि। 

ई कार्रवाई एहेन समय म' भ' रहल अछि जखन लालू आओर हुनकर परिवार पर बेनामी संपत्ति लेल कार्रवाई चैल रहल अछि। एहि बीच भारतीय जनता पार्टी आब उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव के संगे संग आब तेज प्रताप के सेहो इस्तीफा मैंग रहल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने