गोपालगंज के पुलिस अधीक्षक रवि रंजन आए गुरुदिन एता एक संवाददाता सम्मेलन म' कहलनि कि अवैध संबंध के कारण कृष्णा शाही के हत्या भेल अछि। मृतक के अपने करीबी आदित्य राय के बहिनक संग अवैध संबंध छल। अवैध संबंध के जानकारी आदित्य क' 15 दिन पहिने भेल छल, जाहिक बाद कृष्णा के हत्याक साजिश रचल गेल।
रवि रंजन कहलनि कि विगत मंगल के राति कृष्णा शाही आदित्य के घर गेल छलाह, जता हुनका भोजन म' जहर मिला खुवाओल गेल, जाहिसँ हुनकर मौत भ' गेल। बाद म' शव क' बगल के एक इनार म' गिरा देल गेल। पुलिस आदित्य क' गिरफ्तार क' लेना अछि।
अपने क' बता दी हथुआ थाना के चैनपुर गाम निवासी आओर बीजेपी व्यावसायिक प्रकोष्ठ के प्रदेश प्रभारी शाही मंगलक राति मांझा गाम निवासी लालबाबू राय के श्राद्घकर्म में भाग लेबा ओता गेल छलाह। जाहिक बाद ओ वापस घर नहि पहुंचला।
चैनपुर पंचायत के मुखिया शांता शाही के पति शाही के लापता होयबाक सूचना पुलिस क' बुधदिनक भोर देल गेल। पुलिस जखन खोजबीन शरू केलनि तेँ हुनकर शव मांझा गाम के एक इनार सँ बरामद भेल। पुलिसक छानबीन सँ पता चलल कि श्राद्धकर्म म' भाग लेबाक बाद शाही आदित्य के घर गेल छला, जाता हुनकर हत्या क' देल गेल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।