पूसा थाना प्रभारी संजीत कुमार कहलनि कि घर म' आगि लगलाक बाद दम घुटला सँ सभक मौत भेल। मुदा मामला के खुलासा पोस्टमार्टम रिपोर्ट अएला के बाद काएल जाएत। घटना के सम्बन्ध म' स्थानीय लोग सभक कहब छैन्ह कि कैल्हि देर राति घर म' एकाएक आगि लगबाक कारण ई हादसा भेल।
बताओल जे रहल अछि कि हादसा के समय घरक सभ सदस्य सुतल रहथिन, ओहि दौरान घर म' राखल डिबिया स' बिछौना म' आगि लाएग गेल आओर ई दर्दनाक हादसा भेल। मृतक म' मुकेश राय पत्नी रूपा देवी आओर दू बुच्चिया कल्पना आओर आंचल शामिल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।