34 बरख बाद आयल कोर्टक' फैसला में कृपा नंद आजाद बरी
दरभंगा : 34 बरख पहिने ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय में रसायनशास्त्र पीजी के सीट बढ़ाबा के लक़ भेल छात्र आंदोलन के मामला में व्यवहार न्यायालय सोम दिन अपन फैसला सुनेलक।जाहि में अपन समय के वामपंथी छात्र संगठन के नेता एवं निवर्तमान मुखिया महासंघ मधुबनी के जिलाध्यक्ष कृपा नंद झा आज़ाद के सोम दिन बरी कs देल गेल। साल 1983 में वामपंथी छात्र संगठन के छात्र नेता बैद्यनाथ चौधरी एवं कृपानंद झा आज़ाद के नेतृत्व में मिथिला विश्वविद्यालय के रसायनशास्त्र पीजी के नामांकन में सीट बढ़ाबा के लक भेल छात्र आंदोलन में सेकड़ो छात्र द्वारा विश्विद्यालय में नारेबाजी आर तालाबंदी क देल गेल रहे। छात्र अंदोलन के व्यपकता के देखैत व विश्वविद्यालय प्रबंधन एवं छात्र में गतिरोध बढ़ैत देख विश्वविद्यालय प्रशासन द्वारा नामजद प्राथमिकी दर्ज करैल गेल। जाहि में एही दुनू नेताके संग - संग आन तीन अन्य नामजद के अलावा दर्जनों छात्र के आरोपी बनायल गेल। 34 बरख बाद कृपा नंद झा आजाद के एसजीएम चतुर्थ अमन कुमार ठाकुर के कोर्ट बाईज्जत रिहा कs देलक। एही मामले में अन्य तीन आरोपी पहिने रिहा भ चुकल छैथ। मामला में नामजद अंतिम आरोपी बैधनाथ चौधरी बैजू के मामला विचाराधीन अछि, जाहि में निर्णय एनाइ एखन बांकी अछि। कृपा नंद आज़ाद न्यायालय के एही फैसला के स्वागत करैत कहला की विवि प्रशासन अपन गलती छूपेबाक आ छात्र के आवाज दबाब के लेल मुकदमा दर्ज करेने रहे।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।