अखिल भारतीय मिथिला पार्टी क़ दिल्ली प्रदेश अध्यक्ष आनंद झा के सड़क दुर्धटना में मृत्यु


दिल्ली। 24 मई।  अखिल भारतीय मिथिला पार्टी के दिल्ली प्रदेश अध्यक्ष आनंद झा के मृत्यु एक सड़क दुर्घटना में भ गेलैन। मंगल दिन साँझ आनंद झा मोटर साईकिल पर  कार्यालय सs घर आबैत छलाह एही क्रम में एक तेज रफ़्तार कार पाछा सs ठोकर माइर देलक, ठोकर एतेक भयानक छल कि आनंद झा क़ माथ डिवाइडर सs जा टकरायल जाहि सs हुनक मृत्यु घटना स्थल पर ही भ गेलैन। आनंद झा के अंतिम संस्कार आई बेरुपहर मीठापुर में कैल जैत। 

आनंद झा क़ जन्म 14 अगस्त 1983 के दरभंगा के तमौल गाम में भेल छल। दरभंगा के मिथिला विश्वविद्यालय सs पढाई करवला आनंद मिथिला आंदोलन सs जुडी गेला। आनंद झा मिथिला राज्य आंदोलन संग संग मिथिला आ मैथिलि हित में होबा वाला आंदोलन में अपन योगदान  हमेशा दैत रहला।
आनंद झा के आकस्मिक निधन सs मिथिला राज्य आंदोलन के लेल पैग छति मानल जा रहल अछि। एही घटना के बाद सम्पूर्ण मिथिलांचल में शोक के लहर दौरि गेल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने