पीडित परिवारक सदस्यक मुताबिक यदि थानेदार तत्क्षण कार्रबाई करितथि, आरोपी केँ पकैड़ लs जइतैथ त संभवतः नैन्सीक जान बचि सकैत छलैक। शंका जतायाल जा रहल अछि जै आरोपी अपनहि घर मे पीडिता केँ नुकौने छल।
एम्हर घर मे अनेक शंकाक अवस्था बनितो बेर-बेर आरोपी व्यक्ति दिश सभक ध्यान जाएत रहलाक बादो सीमित सामर्थ्यक कारण ओहि राति बस चिन्ता मे सभ कियो समय बितेलक। एम्हर-ओम्हर इजोत बाड़ि-बाड़िकय तकैया होएत रहल मुदा नैन्सी न खेत-पथार मे, नहिये कलम-गाछी मे, नहिये अगल-बगल केर गाम मे कतहु नहि भेटलीह।
ऐगला दिन पोखैर सब मे सेहो जाल-ताल खसाओल गेल जे कहीं कतहु पानि-तानि मे त नहि डूबि गेल। मुदा कतहु कोनो सुराक नहि लागल। बियाहक घर - सब तैयारी पूरा - आब कोना कि कएल जाय परिवार मे बड पैघ उहापोहक अवस्था बनि गेल छल। एम्हर १२ वर्षक नावालिग बच्चाक मारिकय लहास कपड़ा मे बान्हि केँ तिलजुगा नदी मे फेक देल गेल। लहास पारिवारिक सदस्य केर 27 मई साँझ 5 बजे करीब तिलजुगा नदीक किनार में भेटल आ फेर पुलिस पर हत्या आदिक अनुसंधान केर दबाव बनल।
पुलिस द्वारा तफ्तीशक कार्य पहिल दिन द्रुत कार्रबाई मे ढिलाइ भेल हो, मुदा बाद मे खोजी कुत्ता सँ सब बातक छानबीन भेला पर खोजी कुत्ता ३-३ बेर आरोपी व्यक्तिक घर मे पैसल। जाहि चक्कू सँ ओकर गला रेतल (काटल) गेल ओहो चक्कू आरोपीक घर सँ भेटल अछि, परिवारक सदस्य कहलनि। थानेदार सँ गप केलापर पता चलैत अछि जे साक्ष्यक खोजी आ अनुसंधान एखनहु जारी अछि। थानेदार दुइ आरोपी केँ पकड़बाक आ जेल चलान करबाक बात सेहो गछलैन। सोशल मीडिया पर नैन्सी केँ न्याय देबाक लेल ऊफान मचल अछि।चारूकात एहि घटना सँ कोहराम मचि गेल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।