एक मैथलानि के हस्तकला के कायल भेला मोदी देला हर संभव सहायता के भरोसा



समस्तीपुर। मिथिलावासी के लेल एक बेर फेर सs गर्व कारबाक समय अछि , होबाको चाही मिथिला हस्तकला के कायल देश के प्रधानमंत्री श्री नरेंद्र मोदी सेहो भ गेला। जी हाँ , समस्तीपुर जिला के मसीना गाम में गीता देवी के नाम एक पत्र पीएमओ सs एक पत्र आयल। जाहि में नरेंद्र मोदी लिखला की आहाँक उपहार बड़ लाजवाब अछि, एहिके कोनो मोल नै अछि, आर सबस पैग बात अछि की आहाँ एहीके कचड़ा सs बनेनौ इ सूंदर कलाकृति हमारा स्वच्छ भारत अभियान में रामबाण के तरह काज करत। एतबै नै, एहीसँ मिथिला वासी के एक नव रोज़गार सेहो भेटत।जाहिस लघु-कुटीर उधोग में बढ़ावा भेटत आर एहिके लेल जै भी संभव होयत सरकार के तरफ सs  सहायता कैल जैत। 

गीता देवी हस्तकला में निपुण छैथ, आर अपन एही कला सs गीता देवी गाम में फेंकल कचरासँ  (प्लास्टिक)  रंग बिरंगक वास्तु बनबैत रहैत छैथ। एही क्रम में पिछला महीना गाम में फेकल प्लास्टिक कचड़ासँ एक सुन्दरसं बाल्टी के आकारक' वस्तु तैयार कैली। जाहिके हुनकर जेष्ठ पुत्र मनोज झा  देश के प्रधानमंत्री के उपहार स्वरूप पठा देला। 

उपहार प्रधानमंत्री के बड़ पसिन पड़लनि , एही के तुरंत बाद गीता देवी के पीएमओ सs फ़ोन आएल जाहि पर दोसर कात देश के प्रधानमंत्री छलाह , गीता देवी जी के खुसी के सीमा नै रहल , एही के बाद एकटा धन्यवाद पत्र सेहो गीता देवी के नाम आएल, । कहल जा रहल अछि की मसीना गांव में पीएमओ के अधिकारी सेहो आबए वाला छैथ।    

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने