नैंसी के पोस्टमार्टम रिपोर्ट में भेल छेड़छाड़ : पीड़ित परिवार


मधुबनी : नैंसी हत्या कांड में एक नया मोड़ देखाबाक लेल भेट रहल अछि। मधुबनी प्रशासन एक तरफ पुलिस के करवाई सs पीड़ित परिवार संतुष्ट होबाक बात कही रहल अछि , ओतहि पीड़िता के माँ एक वीडियो सन्देश में पुलिस द्वारा कैल गेल करवाई के संदेह के घेरा में ठार क़ देलीह। ओहि सन्देश में पीडिताक माँ SHO राजीव कुमार के ऊपर सेहो आरोप लगेने छैथ।  पीड़िताक' पिता के अनुसार आरोपी के ऊपर शक जाहिर कैला के बादो SHO करवाई नै कएलक , पुलिस तथ्य के छूपाब के लेल कही रहल अछि कि घटना के 72 घंटा के बाद लहाश भेटल जखन की सत्य अछि कि 62 घंटा में ही लहाश भेट गेल रहे। पोस्टमार्टम रिपोर्ट कही रहल अछि कि हत्या गला दबाक कइल गेल जखन कि पिता के कहब छैन कि हत्या गला आर हाथ के नस काटी कS कैल गेल। मधुबनी SP कही रहल छैथ कि पीड़ित परिवार जाँच सS संतुष्ट छैथ। ओतिह पीड़ित परिवार सीबीआई सs जाँच के मांग क रहल छैथ।

पीड़िता के माँ के वीडियो सन्देश : 




Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने