खरीफ महाभियान सह महोत्सव विभागीय पदाधिकारी के लेल कामधेनु : जिला पार्षद खुशबू कुमारी

मधुबनी: बेनीपट्टी प्रखंड के प्रांगण में खरीफ महाभियान सह महोत्सव 2017 के आयोजन बुध दिन कृषि विभाग द्वारा कैल गेल। जाहिके उद्घटान बीडीओ अभय कुमार एवं उप प्रमुख अशोक कुमार चौधरी संयुक्त रूप स कैला। एही आयोजन में किसान के खरीफ फसल के उत्पादन में विकशित तकनीक सs अवगत करैल गेल। 

कार्यक्रम के मंच सs जिला पार्षद खुशबू कुमारी महोत्सव के प्रचार - प्रसार नै करबाक आरोप बीएओ प्राणनाथ सिंह लागेली। पार्षद कुमारी खरीफ महोत्सव के निंदा  करैत कहली कि खरीफ महाभियान सह महोत्सव खानापूरी बानीक़ रही गेल अछि। एही महोत्सवक' जानकारी किसान के नै देल गेल जाहि कारन एही महोत्सव में किसान के उपस्थिति नै देखल गेला। खुशबु कुमारी कहली की एही महाभियान सs किसान के कोनो तरहक फायदा नै भ रहल अछि। पार्षद एतैय नै रुकली आर आरोप लगबैत कहली जै अभियान के माध्यम सs सरकारी राशि के बंदरबांट कैल जा रहल अछि , विभागीय पदाधिकारी के लेल इ अभियान कामधेनु साबित भ रहल अछि। 

अपन सफाई में बीएओ प्राणनाथ सिंह कहला कि आत्मा मधुबनी के द्वारा प्रचार प्रसार करायल गेल रहे सँगैह सलाहकारों के द्वारा सेहो मोबाईल पर सूचना देल गेल रहे।

एही कार्यक्रम आत्मा अध्यक्ष नित्यानंद झा, मुखिया महासंघ अध्यक्ष कृपा नन्द आजाद , पंचयात समिति सदस्य  संतोष कुमार चौधरी सहित अनेको गणमान्य उपस्थित छलाह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ