भूख हड़ताल पर बैसल छात्र के स्वास्थ्य बिगड़ल, डीएमसीएच रेफर


दरभंगा। 24 मई। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के स्नातक प्रथम खंड में भेल अनिमियता के खिलाफ मिथिला स्टूडेंट यूनियन के भूख हड़ताल दोसर दिन सेहो जारी रहल। जबैत काल तक पुनः मूल्यांकन आर परीक्षा नियंत्रक के वर्खास्त नै कैएल जैत इ जंग जारी रहत, यूनियन विवि प्रशासन के कुम्भकर्णी निंद्रा तोड़ने बिना नै रुकता इ कहब छैन भूख हड़ताल पर बैसल सेनानी धीरज झाक'। दू दिन भेला के बादो विवि प्रशासन के तरहक़ सुगबुगाहट नै देखल गेल। ओतिह दोसर दिन अचानक भूख हड़ताल पर बैसल धीरज कुमार के तबियत बिगैर गेलैन जाहि के बाद आनन - फानन में अस्पताल में दाखिल करैल गेल। जाहिठाम डॉक्टरक' जांच के बाद हुनकर स्वास्थ्य स्थिर बतायल गेल। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ