दरभंगा। 24 मई। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय में स्नातक प्रथम खंड कॉपी जाँच में भेल अनिमियता के वावजूद विश्वविदयालय प्रशासन के सुस्त रवैया के खिलाफ मिथिला स्टूडेंट यूनियन मोर्चा फोइल देने छैथ।
प्रथम खंड के परीक्षाफल प्रकाशित भेला के बाद स्टूडेंट यूनियन विश्वविद्यालय प्रशासन के मूल्यांकन में भेल अनिमियता स अवगत करैला आर प्रशासन स अनुरोध कैला जै छात्र / छात्रा के भविष्य के देखैत पुनःमूल्यांकन करैल जै। लेकिन विश्वविदयालय प्रशासन के तरफ सs कोनो ठोस आश्वासन नै भेटला के बाद सs मिथिला स्टूडेंट यूनियन के सेनानी जयप्रकाश, धीरज झा, अमित ठाकुर सहित अन्य छात्र अनिश्चितकालीन भूख हड़ताल पर मंगल दिन सs बैस रहला।
यूनियन के प्रवक्ता बीजे बिकाश मीडिया के जानकारी दैत कहला की यूनियन के मांग अछि की विश्वविद्यालय प्रशासन जिम्मेदारी लैत परीक्षा नियंत्रक के वर्खास्त करे , सँगैह स्नातक प्रथम खंड में भेल अनिमियता के पुनःमूल्यांकन करि परीक्षाफल के संसोधन कैल जै जाहि सs विद्यार्थी के भविष्य तबाह भेला सs बचायाल जा सकै।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।