03 अप्रैल। पटना। डिजिटल इंडिया बानी रहल अछि जकर सबूत अछि जे आई - कैल्ह केंद्रीय मंत्री तक अपन विरोधी के जबाब सोशल मिडिया पर दैत छैथ। मामला रविशंकर प्रसाद के ट्वीट के अछि। अपन ट्वीट में राजद अध्यक्ष लालू यादव के जवाब दैत कहला कि देशक' राजनीति बदैल गेल अछि लालू जी, पीएम नरेंद्र मोदी आई पूरा देश के गरीब पिछड़ा दलित आर अतिपिछड़ के आशा के केंद्र छैथ ।
दरअसल लालू यादव एक दैनिक समाचार पत्र के इंटरव्यू दैत कहला कि फासिस्ट ताकत के रोकबाक' लेल सभ के एकजुट करे में अपन भूमिका अदा करब। हमर कोनो शर्त नै अछि। हम आ नितीश जी पहल केनौ , बिहार में कांग्रेस के साथ तीनू दलक' महागठबंधन बनल , नतीजा सामने अछि।
एही प्रकार , आब देश के स्तर पर प्रयास होयत। जेकर जाहिठाम जेतैक ताकत होयत , सबके बटोरिक' एक करबाक अछि । इतिहास गवाह अछि, टुकड़ा में बँटीक' भारतीय राजा सभ अपन दम पर विदेशी हमलावर के मुकाबला कैला आ हारैत रहला। गजनी-बाबर सs हारला।
लालू के एही बयान के जवाब दैत रविशंकर प्रसाद ट्वीट करि कहला कहा कि आई प्रधानमंत्री नरेद्र मोदी जी के नेतृत्व आर हुनकर सरकार के कार्यक्रम गरीब में नया विश्वास जगा रहल अछि। एही लेल हमर जीत भs रहल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।