डिजिटल भुगतान के बढ़ाव के लेल मोदी सरकारक' तोहफा



01 अप्रैल। दिल्ली। आॅनलाइन ट्रेन टिकट बुक करब वाला के लेल खुशखबरी अछि। केंद्र सरकार ऑनलाइन टिकट बुकिंग पर सर्विस चार्ज के माफी 30 जून तक बढ़ा देलक। 
जानकारी होयत कि नोटबंदी के बाद डिजिटल भुगतान के बढ़ाव देबा के लेल सरकार टिकट के ऑनलाइन बुकिंग पर सर्विस चार्ज 23 नवंबर, 2016 सs 31 मार्च 2017 तक माफ केने छल। सरकार आब एही समय सीमा के 30 जून तक बढ़ा देलक। 
रेल मंत्रालय के अधिकारी कहब छैन कि सूचना एवं प्रौद्योगिकी मंत्रालय डिजिटल भुगतान के बढ़ावा देबा के लेल रेलवे के निर्देशित कएलक अछि। आईआरसीटीसी के साइट सs ऑनलाइन टिकट बुक कराब पर 20 रुपया सs 40 रुपया तक प्रति टिकट शुल्क लागैत छल जैकी आब 30 जून तक नै लागत।  

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ