03 अप्रैल। पटना। बिहार के शिक्षा मंत्री अशोक चौधरी स्वीकार कैला कि राज्य में सरकारी स्कूलों में शिक्षा के स्तर नीक नै अछि। बरबीघा कॉलेज मैदान में अंतर जिला क्रिकेट टूर्नामेंटक' शुभारंभ करैत चौधरी कहल कि सरकारी स्कूलों में पांचवा कक्षा के छात्र तैसर कक्षा के गणितक' प्रश्न हल नै करि सकैत अछि।
शिक्षामंत्री एक एनजीओ के रिपोर्टक' हवाला दैत कहला। जाहि में सरकारी स्कूलों में खराब शिक्षा के गुणवत्ता के लक निचला स्तर पर एक व्यापक सर्वेक्षण कैल गेल रहे।
श्री चौधरी कहला कि राज्य सरकार सरकारी स्कूल में गुणवत्ता वाला शिक्षा मुहैया करबा लेल ढांचागत सुविधा में सुधार करैत आन कतेको पहल कैल्क अछि। मंत्री कहला कि स्कूल जाय वाला 88 प्रतिशत बच्चा सरकारी विद्यालय में पढ़ैत अछि। जखन कि सिर्फ 12 फीसदी बच्चा निजी स्कूल में पढ़ जाइत अछि ।
गैर सहायता प्राप्त स्कूलक' शिक्षक के मांग के वाजिब बताबैत मंत्री कहला कि सरकार हुनकर मांग के पूरा करे लेल भरसक प्रयाश करि रहल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।