सुच्चा मैथिल संस्था द्वारा केंद्रीय मंत्री महेश शर्माक पुतला दहन

नई दिल्ली। 17 अप्रैल। [दिगम्बर शर्मा] काल्हि रवि दिन दुपहरिया में दिल्लीक जंतमंतर पर सुच्चा मैथिल संस्था द्वारा राष्ट्रिय महासचिव अमलेश मंडल जीक अगुआई में केंद्रीय संस्कृति मंत्री महेश शर्मा क पुतला जरायल गेल।

जेनाकी अपने सब के बुझल होयत केंद्रीय मंत्री डॉ.महेश शर्मा उत्तर  प्रदेशक गौतम बुद्ध नगर सँ भारतीय जनता पार्टीक सांसद सदस्य छथि, संगहि संस्कृति मंत्रीक जिम्मेदारी सेओह हुनका देल गेल छन्हि। पिछला सप्ताह संसद में उठाओल गेल मिथिलाक धिया सीता बहिनक जन्मस्थली सीतामढ़ीक विकासक बात पर सांसद महोदय कहलाह, जे सीता जीक जन्म मिथिलाक सीतामढ़ी मे भेल छलैन्ह, तकर कुनों ऐतिहासिक साक्ष्य नहि अछि, बाल्मीकि रामायण मे जन्मक चर्चा मात्र कयल गेल छन्हि।
संस्कृति मंत्री जीक द्वारा कहल गेल उपरोक्त बात सँ सीता बहिनक संग संपूर्ण मिथिलाक अपमान भेल।तकर बादो कतेकों अपना आप के मात्र मैथिल बुझनिहार संस्था/अभियानी/व्यक्ति आगाँ आबि ऐ अपमानक खिलाफ किछु कदम नहि उठेलाह। लेकिन सुच्चा मैथिल संस्था एहि लेल दिल्ली के जंतर-मंतर पर मंत्री महोदय के पुतला डाहि क जबरदस्त विरोध दर्ज करेलक।

पुतला दहन के पश्चात मंत्री के घरक घेराव लेल लोक कल्याण मार्ग मेट्रो स्टेशन सँ मंत्री'क खिलाफ नारेबाजी करैत पैदल मंत्री जीक सरकारी आवास पर पहुँचल। मिथिला स्टूडेंट यूनियन के सहयोग सँ निक जकाँ प्रदर्शन भेलाक बाद प्रशासन किछु सदस्य के गिरफ़्तार केलक बाद मे ज्ञापन लेलाक बाद छोइर देल गेल।

उपरोक्त दुनु कार्यक्रम सफल बनेबाक लेल अमलेश मंडल, ललन शर्मा, सुनील शर्मा, मुकेश शर्मा, रोहीत यादव, संतोष शर्मा, बिरबल यादव,रंजीतलाल दास, विनोद यादव, अनुप मैथिल, रौशन मैथिल संग निक संख्या में समाजसेवी लोकनि अपन उपस्थिती देलाह।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने