मजदूरक खातामे धनदेवी केर कृपासँ जमा भेल 2 करोड़, ATM केर पर्ची देख भेला बेहोश

पश्चिम चंपारण। 12 अप्रैल। नोटबंदी के बाद बैंक खाता सभ पर धनदेवी केर कृपाक बहुत रास खबैर सामना आएब रहल अछि। कैल्ह मंगल दिन बगहा के एक मजदूरक खाता मे 1.99 करोड़ टका बैलेंस देखार देलक। दिहाड़ी मजदूर घनश्याम नगर के नारायणापुर घाट मोहल्ला मे रहैत छथि। घनश्याम अपन खाता मे एतेक बड़का रकम देख बेहोश भ' गेला।  

मजदूर घनश्याम अपन खाता से टाका निकालबाक लेल पंजाब नेशनल बैंक के एटीएम पर गेलथि। एटीएम से टाका तेँ नहि निकलल, मुदा बैलेंस पर्ची पर राशि देख हुनकर माथा चकरा गेलनि। पर्ची पर 1.99 करोड़ टाका केर बैलेंस दर्ज छल। घनश्याम के खाता भारतीय स्टेट बैंक के बगहा शाखा मे अछि, जाहिके बैंक केवाइसी केर अभाव मे फिलहाल होल्ड क' देना अच्छी।

दुइ करोड़ टाका बैंक खाते मे जमा होयबाक जानकारी भेटलाक बाद घनश्याम एटीएम मे बेहोश भ' गेला। लोग सभ हुनका अस्पताल ल' गेलनि, अस्पताल मे होश अएलाक बाद ओ बैंक पहुँच ऐहिक जानकारी देलनि। घनश्याम कहलनि कि हुनका संग कियो बहुत बड़का मजाक कएलनि अछि। टाका कोना जमा भेल ऐहिक जांच चैल रहल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने