Jio आनलक नवा 'धन धना धन' प्लान, 309 टाकामें 3 माह धरी सभकिछु मुफ़्त

मुंबई। 11 अप्रैल। रिलायंस जियो धन धना धन ऑफर ल'के आएल अछि।  उपभोक्ता केँ प्लान लेबाक लेल 309 टाका वा 509 टाका खर्च करे पड़त।  दुनू ऑफर मे अनलिमिटेड डाटा के संग फ्री कॉलिंग आओर फ्री रोमिंग रहत। ई ऑफर प्राइम यूजर आओर नॉन प्राइम यूजर दुनू लेल उपलब्ध अछि। 

  • जियो धन धना ऑफर मे उपभोक्ता केँ हर दिन 1GB सँ 2GB तक 4G डाटा भेटत। 
  • 309 टाका बला प्लान मे प्राइम मेंबर क' 84 दिन धरी हर दिन 1GB 4G डाटा भेटत।
  • 509 टाका बला प्लान मे प्राइम मेंबर क' 84 दिन धरी हर दिन 2GB 4G डाटा भेटत।
  • डेली लिमिट खत्म भेलाक बाद स्पीड 128kbps भ' जायत।
  • दुनू प्लान मे अनलिमिटेड कॉलिंग के संग मुफ़्त रोमिंग आओर मुफ़्त SMS सेहो देल जाएत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने