पटना। 20 अप्रैल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी पर नकल करबाक आरोप लगबैत कहलनि कि हम जे करैत छी, केंद्र ओहिके दोहराबैत अछि। ई बात मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी के लालबत्ती हटेबा बला फैसला पर कहलनि।
ओतहि, उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव मीडिया के कहलनि कि हम पहिने सँ लालबत्ती कल्चर केर खिलाफ छी। हम ऐता जनता केर सेवा करबाक लेल आबैत छी नहि कि वीआईपी स्टेट्स देखेबाक लेल।
गौरतलब अछि कि बिहार मे कैको बीजेपी मंत्री छथि जे अपन गाड़ी से लालबत्ती हटा देलैन्ह। ओनाकि सरकारक फैसला 1 मई से लागू होयत। केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह खुद अपन हाथे लालबत्ती क' अपन गाड़ी सँ हटा देलनि। ओ कहलनि कि केंद्रीय कैबिनेट केर फैसला स्वागत योग्य अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।