पाटलीपुत्र एक्सप्रेस (12142), पाटलिपुत्र से मुंबई जाय बला ट्रेनक एक बोगी मे लागल आगि
पटना। 17 अप्रैल। लगातार भ' रहल ट्रेन दुर्घटना के बीच एक आओर दर्दनाक घटना ट्रेन मे घटल। एहि घटना केर जानकारी भेटते रेल प्रशासन के हालत खराब भ' गेलनि। पाटलीपुत्र एक्सप्रेस जे की पाटलिपुत्र से मुंबई जाय जायत छल, ओहिक एक बोगी मे आगि लगला सँ अफरा तफरी के माहौल भ' गेल छल। पाटलीपुत्र स्टेशन से दानापुर, मुगलसराय, सतना होयत मुंबई जाय बला 12142 पाटलीपुत्र एक्सप्रेस ट्रेन के लगेज बोगी मे अचानक आगि लागि गेल। जाहिपर सूचना भेटते रेल अधिकारि व कर्मचारि सभ समय रैहते काबू प' लेलनि, जाहिसे एक बड़का हादसा होयत - होयत टरल। आगि लगबाक मुख्य कारण बोगी मे लागल डायनेमो के बेल्ट जाम होयब बताओल जे रहल अछि। प्राप्त जानकारी केर मुताबिक़ एहि घटना से यात्री सभक किछ लगेज के छति पहुँचबाक अलावा आओर कुनु तरहक नुकसान नहि भेल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।