प्राप्त जानकारी केर मुताबिक पुलिस शराब के बरामदगी मामलाक आरोपी शिक्षक के गिरफ्तार करे पहुँचल छल। एहि दौरान बोचहां थाना पुलिस के लोग सभक भारी आक्रोश के सामान करे पड़लैन्ह। पहिने ग्रामीण सभ पुलिस संग कहा सुनी केलैन्ह। फेर देखते देखते पुलिस पर हमला क' देलैन्ह। एहि दौरान भीड़ मे एक पुलिसकर्मी के रिवॉल्वर सेहो लुइट लेल गेल। पुलिस टीम आरोपी शिक्षक सुंदर लाल सहनी के गिरफ्तार करे पहुँचल छल। ग्रामीण सभक हमला सँ घायल दू एसआई, एक एएसआई समेत पांच पुलिसकर्मि सभके बोचहां पीएचसी मे इलाज लेल भर्ती कराओल गेल अछि।
अपने के बता दी कि किछु दिन पहिने पूर्व शिक्षक के घरक पाछा शराब के बोतल पाओल गेल छल। जाहिक आधार पर पुलिस आय शनिवार दिन पूर्व शिक्षक के हिरासत मे लेबा पहुँचल छल। स्थानीय लोग सभक आरोप अछि कि पुलिस बिना वारंट के ओता पहुँचल छल संगहि लोग सभ इयो आरोप लगौलैन्ह कि बिना जांच पड़ताल के पूर्व शिक्षक के पुलिस गिरफ्तार करे पहुँचल छल।
एहि घटना के बाद इलाका मे तनाव केर स्थिति अछि। पुलिस मामला के सम्हारबाक लेल आन थाना के पुलिस के मौक़ा पर बजौलैन्ह। पुलिस हालात के काबू करबा मे कुनु कसर नहि छोड़लैन्ह। ओतहि पुलिस के अधिकारि सभक कहब अछि कि कुनूभि हाल मे गुनहगार के बख्शल नहि जायत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।