लालू यादव ताकि रहल छथि अपन दुनू बेटाक लेल दुल्हिन, एहि तरहक शर्त राखलैन्ह

पटना। 17 अप्रैल। बिहार सरकार मे तेजप्रताप यादव आओर तेजस्वी यादव दुनू मोस्ट एलिजिबल बैचलर मंत्री छथि। लालू यादव अब अपन दुनू  मंत्री बेटाक लेल दुल्हिन ताकि रहल छथि। लालू यादव कहलनि कि ओ अपन दुनू बेटाक लेल दुल्हिन ताकि रहल छथि।

लालू प्रसाद यादव कहलनि कि हुनका अपन दुनू बेटाक बियाह मे दहेज नहि चाहि, हाँ यदि गाय भेटत तेँ जरूर लेब। लालू आओर राबड़ी देवी अगिला बरख धरी अपन दुनू बेटाक बियाह करबाक दावा केलनि अछि।हुनक कहब छैन्ह कि यदि लड़की निक भेटल तेँ ओ खुद बियाहक सभ खर्चा उठेथिन।

दहेज के बात पर लालू यादव कहलनि कि दहेज लेब पाप थीक। देश मे दहेज लेबै बलाक खिलाफ पहिने कानून बनल अछि। आगा ओ कहलनि कि हमहुँ अपन दुनू बेटाक बियाह मे दहेज नहि लेब, मुदा बियाह मे यदि कियो गाय देथिन तेँ जरूर लेब। कैल्ह रवि दिन तेजप्रताप के जन्मदिन छल। एहि उपलक्ष मे बधाई देबै बला केँ भारी भीड़ देखल गेल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ