विवादित बयान : सिर काटबाक धमकी देबै बला BJP विधायक पर FIR

हैदराबाद। 11 अप्रैल। सिर काटबाक धमकी देबै बला बीजेपी विधायक टी राजा सिंह केर खिलाफ हैदराबाद पुलिस केस दर्ज केलनि अच्छी। बीजेपी विधायक किछु दिन पहिने ई कही विवाद ठाढ़ केना छल कि अयोध्या मे राम मंदिर केर निर्माणक विरोध करै बला गद्दार सभक सिर कलम क' देल जायत। जाहिपर मुस्लिम सभक एक स्थानीय संगठन मजलिस बचाओ तहरीक केर प्रवक्ता अमजद उल्लाह खान केर शिकायत पर हैदराबाद पुलिस विधायक केर खिलाफ मामला दर्ज केलनि। 

टी राजा सिंह केर बयानक कांग्रेस समेत दोसरो दल सभ खूब आलोचना केलनि। हैदराबाद मे घोषामहल विधानसभा क्षेत्रक प्रतिनिधित्व करै बला टी राजा सिंह एक विडियो मे ई कहैत देखल गेल छला कि ओ राम मंदिरक लेल अपन जान द' सकैत छथि आओर मंदिर केर निर्माणक विरोध करनिहारगद्दार सभक जान कहो ल' सकैत छथि।  

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने