एक सितंबर 1989 क' जनमल तुहिना कोलकाता सँ बीटेक केलि। 2013 मे नौकरी शुरू करबाक किछु दिनक बाद हुनकर विवाह भ' गेलनि आओर ओ अपन पति संग यूएस चल गेली।
तुहिना कहली की जखन ओ पैघ भेली तखन अपन पिता डॉ. मनेंद्र कुमार सँ 'मिस इंडिया कॉन्टेस्ट' आओर 'इंडियन आइडियल' मे भाग लेबाक लेल अनुमति मांगली, मुदा पेशा सँ शिक्षक पिता हुनका एहि सभक अनुमति नहि देलनि। पिछ्ला बरख हुनका 'मिसेज इंडिया कॉन्टेस्ट' केर बारे मे पता चललैन्ह तेँ ओ अपन बचपनक सपना पूरा करबा मे भीड़ गेली। जून 2016 मे मिसेस इंडिया कॉन्टेस्ट लेल रजिस्ट्रेशन करेबाक बाद तुहिना पांच हजार कंटेस्टेंट महिला मे चुनल गेली।
अपने के बता दी नई दिल्ली मे होमै बला मिसेस इंडिया कॉन्टेस्ट के फाइनल राउंड जितबा मे यदि तुहिना सफल साबित भेली तेँ ओ 'मिसेज यूनिवर्स कॉन्टेस्ट' मे भारत के रिप्रजेंट करती, जे हुनका लेल एक बड़का उपलब्धि होयत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।