जमीन घोटालाक मामला मे रॉबर्ट वाड्रा केर करीबी सभक ठिकाना पर ईडी केर छापा

नई दिल्ली। 13 अप्रैल। प्रवर्तन निदेशालय (ईडी) कैल्ह बुधवार दिन जमीन घोटाला केर मामला मे कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी के दामाद रॉबर्ट वाड्रा केर करीबी सभक ठिकाना पर छापामारी कएलनि। ईडी द्वारा वाड्रा के स्काईलाइट हॉस्पिटैलिटी के आधिकारिक प्रतिनिधि महेश नागर केर परिसर मे छापामारी काएल गेल।  

ईडी के जयपुर जोनल ऑफिस द्वारा फरीदाबाद मे नागर केर ठिकाना पर छापा मारल गेल। महेश, हरियाणा के तिगांव से कांग्रेसी विधायक ललित नागर के भाई छथि। ई छापा बीकानेर जमीन केस केर संबंध मे मारल गेल। राजस्थान पुलिस पहिने बीकानेर मे अवैध दस्तावेजक मदद से सरकारी जमीन पर कब्जा करबाक मामला मे चार्जशीट दाखिल क' चुकल अछि। एहि जमीन क' बाद मे बेच देल गेल। राजस्थान पुलिस केर FIR के आधार पर ईडी मनी लॉन्डरिंग निरोधक अधिनियम (PMLA) केर तहत केस दर्ज कएलनि अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ