राइजिंग स्टारकेँ महामुकाबला मे आय फाइनल मे पहुँचबाक लेल लड़ती मैथिल दुलारी धिया 'मैथिली ठाकुर'

मधुबनी। 15 अप्रैल। सम्पादकीय। [जितमोहन झा (जितू)] पिछ्ला दुई मास सँ कलर्स टीवी चैनल पर सिंगिंग रियलटी शो ‘राइजिंग स्टार’ मे विजयी बनबाक सपना संजोना मैथिली ठाकुर एहि  प्रतियोगिता मे सभसँ बेसी वोट आनै वाली प्रतिभागी बैन चुकल छथि। मिथिलांचल केँ बेटी मैथिली ठाकुर आय कुनु पहचान केर मोहताज नहि छथि। मैथिली के  मानना छैन्ह कि संगीत एक साधना थीक आओर एहिमे आसानी सँ किछु  हासिल नहि काएल जे सकैछ। संगीतक क्षेत्र मे अपन मधुर आवाज सँ बहुतही कम समय मे अपन पहचान बना चुकल मैथिली ठाकुर क' संगीत विरासत मे भेटल छैन्ह। मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी (उड़ेन) के रहिवासी  मैथिली केँ प्रारंभिक संगीतक शिक्षा हुनक दादाजी बच्चा ठाकुर आओर  पिता रमेश ठाकुर सँ भेटलैन्ह। 

मैथिली ठाकुर एखन धरी संगीतक क्षेत्र मे कैको विशिष्ट पुरस्कार प्राप्त क' चुकल छथि। मैथिली राष्ट्रीय स्तर के गायन शो ‘इंडियन आइडल जूनियर-2015’, ‘सारेगामापा’ सहित कैको गायन रियलटी शो मे अपन  प्रतिभा के जौहर देखा चुकल छथि। ‘आई जीनियस यंग सिंगिंग स्टार’ जितबाक बाद यूनिवर्सल म्यूजिक द्वारा जारी मैथिली के ‘या रब्बा’ एलबम बहुत लोकप्रिय भेल छल। एहि एल्बम के ‘शैतानिया’ शीर्षक बला गीत केँ यू-ट्यूब पर एखन धरी 16 लाख से बेसी लोग देखना अछि।

सिंगिंग रियालटी शो 'राइजिंग स्टार' एक वास्तविक टेलीविजन गायन प्रतियोगिता केर भारतीय संस्करण अछि। कलर्स टीवी पर सप्ताह मे 2 दिन शनि - रविक रातिक 9 बजे सँ प्रसारित सिंगिंग रियालटी शो ‘राईजिंग स्टार’ मे मिथिलाक बेटी 16 वर्षीय मैथिली ठाकुर अप्पन पहिल राउंड मे रिकॉर्ड (94%) मत आनने छली। ओतहि ओ दोसर राउंड मे रिकॉर्ड (93%) मतक संग बंगाल के प्रतिभागि के बहुत अंतर सँ हरा टॉप 16 लेल चयनित भेली। मैथिली 'राइजिंग स्टार' के तेसर राउंड मे (92%) मतक संग टॉप-10 लेल चयनित भेली। चारिम राउंड मे जते हुनका (91%) मत भेटल ओतहि पाँचम राउंड मे हुनका महज (88%) मत भेटल। पिछला राउंड मे मैथिली लेल मतक पतिशत मे भारी कमी देखल गेल। जते पहिल राउंड मे हुनका (94%) मत भेटल छल ओतहि पिछ्ला राउंड मे हुनका महज (88%) मत भेटल।

मैथिली ठाकुर एहि तरहे संघर्ष करैत एक एक स्टेप आगू बढ़ैत आय सेमि फाइनल तक पहुँच गेल छथि। हमरा लोकनि के मैथिली ठाकुर लेल आय शनि आओर कैल्ह रवि दुनू दिन वोट करवाक अछि। आबकेँ एपिसोड मे बेसी वोट पेनीहार कंटेस्टेंट के डायरेक्ट फाइनल केर टिकट भेटत। मैथिल दुलारी मैथिली ठाकुर वोट के कारण कही पाछा नहि होईथ। ताहिलेल सभकियो हुनका आय आओर कैल्ह जरूर वोट करि। 

अपने के बता दी एहि सिंगिंग रियलटी शो के निर्णायक मुख्य रूप से दर्शक होयत छथि। कलर्स चैनल पर एहि लाइव शो मे मैथिली 40 प्रतिभागी सभके पछाड़ैत सेमि फाइनल तक पहुँच गेल छथि। एहि शो मे निर्णायक के रूप मे शंकर महादेवन, मोनाली ठाकुर आओरदिलजीत दोसांझ छथि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ