पेट्रोल कांड के विरोध में एमएसयूक द्वारा बंदक' व्यापक असर , थाना प्रभारी निलंबित

31 मार्च।  दरभंगा। बिहार में बदहाल कानून व्यवस्था के हाल बयाँ कs रहल अछि  25 मार्च के दरभंगा जिला के लहेरियासराय थाना क्षेत्र के गुप्ता स्वीट होम के नजदीक जमीनी विवाद में दू पक्ष में भेल जमीनी विवाद में पेट्रोल छिड़क कए मनोज चौधरी नाम के व्यक्तिक' हत्या करबाक प्रयास कैल गेल छल। जाहि में मनोज चौधरी गंभीर रूप सs झुलस के खबर आयल रहे। जाहि के बाद हुनका दरभंगा सs पटना, फेर पटना सs दिल्ली बेहतर इलाज के लेल भेजल गेल रहे। प्राप्त जानकारी के अनुसार कैल राइत श्री चौधरी के इलाज के दौरान अपोलो अस्पताल में मौत भ गेल। मौत के मुख्य कारण शरीर के अधिक झुलसल बतायल जा रहल अछि। उक्त घटना के मुख्य कारण जमीनी विवाद कहल जा रहल अछि। घटना लहेरियासराय थाना अन्तर्गत आब वाला कमर्शियल चौक के अछि , जाहिठाम विवादित जमीन पर कैलाश साह किछ मजदूर के साथ मिलक दरवाजा लगाब के काज करैत छलाह। जाहि के विरोध कर लेल मनोज चौधरी घटनास्थल पर पहुँचल छलाह। ओहि क्रम में कैलाश साह के लोग सभ मनोज पर पेट्रोल डालीक'  हुनका आग के हवाला क देलक। जबैत तक लोग आग मिझाब के साहस करि तैथ ताबैत तक मनोज चौधरी के शरीरक 50 फीसदी हिस्सा जड़ी गेल।

मनोज चौधरी के मौतक' खबर के बाद पूरा दरभंगा में आक्रोश व्याप्त अछि। एमएसयूक सहित अनेको संस्था द्वारा आई शुक्रदिन दरभंगा बंद का आह्वान कैल गेल।  जेकर व्यापाक असर भोरेसँ देखबा के भेटल। प्रशासन शहर में भारी संख्यामे पुलिस आ रैफकेँ जवानकेँ उतारि देने अछि।

बंदक व्यापक असर दरभंगाक लहेरियासराय मे देखल जा रहल अछि। प्रायः समस्त व्यापारिक प्रतिष्ठान ओहिठाम बंद अछि तऽ दोसर दिस भोर मे दरभंगा-नई दिल्ली बिहार संपर्क क्रांति सुपरफास्ट एक्सप्रेस केँ रोकि प्रदर्शन कैल गेल। जगह-जगह एमएसयूक सेनानीक आ आम जनता सेहो अहि बंदकेँ सफल बना अछि जाहि सँ बंदक असर और बेसी व्यापक असर पड़ल।इस प्रकरण पर लोग सभ घटनाक' पूरा दोष जिला प्रशासन के द' रहल छैथ। स्थानीय लोग एही पर सोचबाक लेल मजबूर छैथ कियाकि इ' घटना पुलिस मुख्यालय सs महज किछ दूरी पर अछि।

एही घटना के बाद लहेरियासराय थाना प्रभारी दीनानाथ मंडल के तत्काल प्रभाव सs कार्य सs विमुक्त करि देल गेला । दरभंगा के एसएसपी कैला कार्यमुक्त। एएसपी दिलनवाज अहमद आर सदर एसडीओ गजेंद्र प्रसाद सिंहक' दू सदस्यीय जाँच टीम बनायल गेल ।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने