अखिल भारतीय मिथिला पार्टी श्रद्धांजलि सभा आ केंडल मार्च के आयोजन करत ।


दिल्ली। 29 अप्रैल। अखिल भारतीय मिथिला पार्टी कैल्ह (30-अप्रैल-2017) रैव दिन बेरूपहर 03:30 बजे दिल्ली'क जंतरमंतर पर अपना सैकड़ों काजकर्ता के संग मिथिलाक तीनू लाल अमर शहीद नरेश यादव, अभय कुमार आ रंजीत कुमार के संग संग सुकमा आ कुपवाड़ा मे शहिद भेल समस्त सैनिक के शहादत पर एकटा श्रद्धांजलि सभा आ केंडल मार्च के आयोजन करत ।
दिल्ली प्रदेश महामंत्री रोहित यादव जानकारी दैत कहला की श्रद्धांजलि सभा आ कैंडल मार्च के बाद पार्टी गृहमंत्री भारत सरकार आ मुख्यमंत्री छत्तीसगढ़ के पुतलादहन सेहो करत। पार्टी के मानब अछि जे वर्तमान रमन सिंह सरकार आ केंद्रीय गृहमंत्री भारतीय सैनिक के सुरक्षा नहि दs पाबि रहल अछि आ हिनका दून्नू गोटे के तत्काल अपना अपना पद  सं इस्तीफा द देबाक चाही।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ