रिलायंस जियो के टक्कर देबाक लेल वोडाफोन पेश कएलनि सस्ता प्लान, महज 6 टाका मे भेट रहल अछि 4जी इंटरनेट डाटा

नई दिल्ली। 15 मार्च। रिलायंस जियो के टक्कर देबाक लेल हर सर्विस प्रोवाइडर नवा ऑफर पेश क' रहल अछि। बीएसएनएल आओर एयरटेल के बाद वोडाफोन सेहो बजार मे एक सस्ता प्लान आनबाक दावा कएलनि अछि। कंपनी अप्पन उपभोक्ता सभक लेल एक नवा ऑफर पेश कएलनि अछि। एहि ऑफर के जरिए, वोडाफोन उपभोक्ता के महज 6 टाका मे हर दिन 1 जीबी 4जी डाटा भेटत। ई ऑफर सिर्फ प्रीपेड उपभोक्ता लेल अछि। 

एहि ऑफर केर तहत प्रीपेड उपभोक्ता के 352 टाका मे 56 दिन लेल  रोजाना 1 जीबी डाटा भेटत। यदि आंकड़ा पर गौर काएल जाए तेँ ग्राहक सभके महज 6 टाका मे 1 जीबी डाट भेटत। ई ऑफर सिर्फ किछु चुनिंदा ग्राहक सभक लेल अछि। अपने के बता दी कि जाहि उपभोक्ता के कंपनी दिस से ई मैसेज भेटत, उवे ई ऑफर के फायदा उठा सकैत अछि। एहि ऑफर के लेल उपभोक्ता के माई वोडाफोन एप डाउनलोड करे पड़त।

एहीसे पहिने बीएसएनएल सेहो 156, 198, 291 आओर 549 टाका के अप्पन प्लान्स के बेसी डाटा संग अपग्रेड केना अछि। अपने के बता दी कि बीएसएनएल के ई ऑफर 17 मार्च 2017 वा ओहिसे पहिने रिचार्ज करे बला ग्राहक के देल जायत। ई ऑफर नवा आओर मौजूदा दुनु ग्राहक लेल  उपलब्ध अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने